Friday, November 9, 2012

55. भूखल


झरना अछि भूखल
नदी सँ भेंट लेल
नदी अछि भूखल
समुद्र सँ भेंट लेल
भूख ओकर ओहिना
भूख सँ व्याकुल फेर
उर्री गेल आकाश
बनि गेल ओ मेघ
बरिस पड़ल फेर आई धरती पर
करै लैल झरना स भेंट
ई भूख छी प्रकृति के देन
आई भूख स नै बची सकल कोई
की झरना की मनुख


बिनीता झा








No comments: