Sunday, February 28, 2016

301.मातृभाषा

फट फट  अंग्रेजी बजय छथि 
मातृभाषा  से दूर भगय छथि 

मैंथिली गीत त  बिसयर गेला 
अंग्रेजी गीत खूब गबय  छथि 


पिज़्ज़ा बर्गर खूब रुचैत पचयत  
तिलकोर-तीमन नै  खाय छथि  

लंदन पेरिस आब घुमय जैता 
डीह डाबर सब  बैचय छथि 

नब चलल इ केहन  प्रथा 
गाम घर से सब पराय छथि 

अहि कहु बिनी इ केहन छथि
मैथिली  से  दूर जे  रहय छथि 

@बिनीता झा 



No comments: