राज गेल मकान गेल
जातिपातिके दौकान नै गेल।
जातिपातिके दौकान नै गेल।
साज गेल श्रृंगार गेल
निरमौहि के शान नै गेल।
निरमौहि के शान नै गेल।
मान गेल अभिमान गेल
फुसिआहि के गुमान नै गेल।
फुसिआहि के गुमान नै गेल।
खेत गेल खरिहान गेल
खेतिहर के अरमान नै गेल।
खेतिहर के अरमान नै गेल।
स्वास्थ गेल सम्मान गेल
जिदिआह के तान नै गेल।
जिदिआह के तान नै गेल।
@बिनीता झा
No comments:
Post a Comment