Wednesday, January 6, 2016

260. आडम्बरक


मनुखक आडम्बरक अंत कहाँ  
जोगी महात्मा कोइ संत कहाँ 

अनठबण्ठ   के  धुनि सजाउने 
निःस्वार्थ बजलक कोई कहाँ 

टिपैन टिकोरा मे आगु आगु 
अपन दोखक विचार कहाँ 

कहै लेल सब ज्ञानी दानी 
शुभ विचारक जंतर कहाँ 

@ बिनीता झा 

No comments: