Sunday, December 30, 2012

78.अहि देसक बेटी हम


अहि देसक बेटी हम
ने होमय देबै ककरो अपमान

 किएक क्षमा करियइ ओकरा
जे नै कए सकैत अछि नारिक सम्मान?
किएक भरोस करियइ ओकरा पर
जे नै सकल मनुखक संतान?

  नै होइतैथ नारि 
जन्म कोना लेतौं,
नै होइतैथ नारि 
बहिन के होइतैथ
नै होइतैथ नारि 
कनियाँ कतयसँ तकितौं 
नै होइतैथ नारि
बेटी ककरा कहितीयइ
नै होइतैथ नारि
सृष्टि कि चलैत ?

 जागू,सोचू,विचारू 
सब नर,नारि 
की होमय देबै
अहाँ नारिक अपमान?

 अहि देसक बेटी हम 
नै चुप बैसि कानब 
करब ओकर प्रतिकार 
जे करत हमरा संग अतिचार 
अहि लड़ाई में हम एकसरे ने 
संगे छथि हमर सखी,सखा 
जे करैत छथि 
नारिक सम्मान  I

aai deshak beti hum
nai hua debai kekro apman.

kiyak chama kariyae okra
jae nai k sakai aich narik  samman?
kiyak bharos kariyae okra par
 ja nai bha sakal manukhk santan?

 Nai hoitait nari
ta janm kona laitau,
nai hotait nari
ta bahin k hoitait,
nai hoitait nari
ta kaniya kata sa taiktau,
nai hoitait nari
ta beti kakra kahitiyae,
nai hoitait nari
ta shristi ki chailtait?

 Jagu,sochu, vicharu,
Sab nar ,nari
ki hua debai
ahan narik apman??
aai deshak beti hum
nai chup bais kanab,
karab okar pratikar
jae kartait humra sang atichar.
aai larai mae hum asgar nai
sang chait humar sakhi ,sakha
jae karai chaith
narik aadar sammaan.


 

No comments: