Friday, May 31, 2013

114.तम्बाकूक अहाँ सेवन छोरू


जुनि खाउ गुटका यौ बाबू
धिया पुता की सीखत आगू 
 
खैनीसं झटदनि मुँह फेरू 
तम्बाकूक अहाँ सेवन छोरू 
 
धुआँ संग जौँ नित कैल फूटानी 
बिगरत अहाँक जिनगीक पिहानी 
 
नेसा कौखन की देलक ककरो 
किये भरम मे छी सभ सगरो 

बनल किएक छी ओकर गुलाम
जे बिलटा देत बस ठामहि ठाम   

बिनीता झा 




No comments: