Monday, October 21, 2013

128 मांगए छी हम आशीष विशेष

धुप दीप अक्षत फूल चानन
गम गम गमकैत एलए आंगन
सुनर सजल माँकें दरबार
पूजा पाठमे लागल संसार
भोजनिमे बनल पकवान
भोग लगौलक माँकें संतान
हाट बजार सजल चमचम
खुब भेटल सभकें सनेस
माथ झुका माँकें चरनमे
मांगए छी हम आशीष विशेष


बिनीता झा
१३.१०.२०१३ 

No comments: