Wednesday, August 28, 2013

126.दर्शन दिय' ने पालन हारी

फूल पातसँ मंदिर सजल अछि
रास रचैया कतए गेला
झूला देखू सुनर सजल अछि
कुंजबिहारी कतए गेला
माखन मिसरी सभ रखले अछि
गिरधारी लेकिन कतए गेला
टुकटुक बाट निहारएत सभ अछि
कृष्ण मुरारी कतए गेला
किएक नुकाएल छी हे मनमोहन
दर्शन दिय' ने पालनहार
जीयब कठिन भेल माहि पर सगरो
कतेक करू यौ हम सभ मनुहार
----- बिनीता झा

 

No comments: