नानी गामक(सरिसब पाही) रथ जतराक फोटो सभ देखि मोन बिहुँसि उठल,नेनपन मोन परि गेल आ अनायास निकलि गेल किछु पाँति राधाकृष्ण सरकार लेल, राखि रहल छी सभक सोंझा:
रथ चढि ऐला सरकार,
भक्त जन गाबै झूमै
सजल सभक घर द्वार
भक्त जन गाबै झूमै
श्वेत,ललित,हरित
भक्त जन गाबै झूमै
सुन्नर सजल भोजनिक थार
भक्त जन गाबै झूमै
करैथ आदर आ सत्कार
भक्त जन गाबै झूमै
रथ जतराकेँ त्यौहार
भक्त जन गाबै झूमै
राधाकृष्ण सभक पालनहार
भक्त जन गाबै झूमै
बिनीता झा

No comments:
Post a Comment